सोना सट कुनिया हो दीनानाथ लिरिक्स | Sona Satkuniya Ho Dinanath Lyrics

Sona Satkuniya Ho Dinanath Lyrics

सोना सट कुनिया हो दीनानाथ लिरिक्स


सोना सट कुनिया, हो दीनानाथ
हे घूमइछा संसार, हे घूमइछा संसार ॥

सोना सट कुनिया, हो दीनानाथ
हे घूमइछा संसार, हे घूमइछा संसार ॥

आन दिन उगइछ हो दीनानाथ
आहे भोर भिनसार, आहे भोर भिनसार ॥

आजू के दिनवा हो दीनानाथ
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर ॥

बाट में भेटिए गेल गे अबला
एकटा अन्हरा पुरुष, एकटा अन्हरा पुरुष ॥

अंखिया दियेते गे अबला
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर ॥

बाट में भेटिए गेल गे अबला
एकटा बाझिनिया, एकटा बाझिनिया ॥

बालक दियत गेल गे अबला
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर ॥


Previous Post Next Post